वीरगञ्ज (पर्सा), ९ अगहनः वीरगञ्ज नाकासँ चालु आर्थिक वर्ष २०८२/८३ के चाइर महिनामे दू खरब ८४ अरब ८९ करोड़ टकाक सामान आयात कएल गेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षके चाइर महिनाके तुलनामे चालु आर्थिक वर्षके ओएह अवधिमे आयात ४३ अरब ८६ करोड़ टकासँ वृद्धि भेल अइछ । बितल आर्थिक वर्षक चाइर महिनाके अवधिमे दू खरब ४१ अरब तीन करोड़ टकाक सामान आयात कएल गेल छल । वीरगञ्ज भंसार कार्यालयके प्रमुख भंसार प्रशासक विष्णु प्रसाद ज्ञवाली बितल आर्थिक वर्षके चाइर महिनाके तुलनामे चालु आर्थिक वर्षके ओएह अवधिमे अइ नाकासँ होएबला आयातमे १८ प्रतिशत वृद्धि भेल जानकारी देलैन । “बितल आर्थिक वर्षक चाइर महिनाके तुलनामे चालु आर्थिक वर्षक ओएह अवधिमे आयात मात्रे नै भ राजस्व सङ्कलन सेहो वृद्धि भेल छै,” ओ कहलैन । कार्यालयके अनुसार बितल आर्थिक वर्षक चाइर महिनामे ६६ अरब ७३ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन कएल गेल छल । मुदा, चालु आर्थिक वर्षक चाइर महिनामे ७५ अरब ५९ करोड़ टका राजस्व सङ्कलन कएल गेल अइछ । वीरगञ्ज नाकासँ चाइर महिनामे ५४ अरब १२ करोड़ टकाक पाँच प्रकारक पेट्रोलियम पदार्थ आयात कएल गेल अइछ । तहिना, ओएह अवधिमे २५ अरब ५२ करोड़ टकाक लोहा तथा लोहासँ बनल सामान आयात कएल गेल अइछ, तँ १९ अरब ५४ करोड़ टकाक मेसिनरी तथा पार्टपुर्जा आयात कएल गेल अइछ । वीरगञ्ज नाकासँ चाइर महिनामे १८ अरब ३१ करोड़ टकाक भटमासके काँच तेल, १६ अरब चाइर करोड़ टकाक इलेक्ट्रिक मेसिनरी, उपकरण आ पार्टपुर्जा तथा १५ अरब ४३ करोड़ टकाके मलखाद आयात कएल गेल अइछ ।